मधेश प्रदेश स्थानीय तहक कर्मचारी आन्दोलनमे

मधेश प्रदेश स्थानीय तहक कर्मचारी आन्दोलनमे
देबेन्द्र यादव देबेन्द्र यादव २०८१ मंसिर २९, शनिबार १७:५७
मधेश प्रदेश स्थानीय तहक कर्मचारी आन्दोलनमे

जनकपुरधाम, २९ अगहनः मधेश प्रदेशअन्तर्गत स्थानीय तहके कर्मचारीसभ पदस्थापनाक मांग करैत आन्दोलनमे उतरल अइछ ।

 

प्रदेशअन्तर्गत स्थानीय तहके प्राविधिक, लेखा, राजस्व, प्रशासनलगायत विभिन्न समूहके एक सओ ६० कर्मचारीसभ पदस्थापनाक मा)ग करैत मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय जनकपुरमाधमे धर्नामे बैसल छैथ । बेरबेर लिखित तथा मौखिक रूपमे जानकारी कएलोपर कोनो सुनवाह नै भेलाक बाद बाध्य भ आन्दोलन क रहल कर्मचारीसभक उपराग अइछ । एक साल आगू सङ्घीय लोकसेवा आयोगसँ उत्तीर्ण भ मधेश प्रदेशमे पदस्थापनाक लेल सिफारिस भेल कर्मचारीसभ कामविहीन भेलाक बाद आन्दोलनमे उतरल स्थानीय तह कर्मचारी आन्दोलन समितिक संयोजक वीरबहादुर सलौरा बतौलैन ।

शुरूसँ बेरबेर समस्या समाधानक लेल मांग कएलो सेहो प्रदेश सरकार पदस्थापना नै कएलक ओ बतौलैन । एत स्थानीय तहके एक हजार कर्मचारी कार्यरत रहल बतौलैन । सङ्घीय लोकसेवा आयोगसँ अन्य प्रदेशमे सिफारिस भेल कर्मचारीसभके पदस्थापना भ मधेश प्रदेशक कर्मचारीसभके पदस्थापना नै भेल सलौरा कहलैन । पदस्थापना नै भेल आओर सेवा सुविधामे समस्या भेल आन्दोलनरत कर्मचारीसभके कहब अइछ ।